मिथिलाञ्चल शायरीक बारेमें किछ शब्द


सम्पूर्ण मैथिल प्रेमी, नव युवक, सर्जक, दोस्त महिम, आ मिथिलाञ्चलवाशी आ मैथिली अप्पन भाषा सँ जिनका लागब अछि।  उ सब किओ एकबेर हमर वेबसाइट/ब्लॉग www.mithilanchalshayari.blogspot.com पर एकबेर अवश्य विजिट करू। ई वेबसाइट हम २०१४ अक्टूबर १९ तारीख के क्रिएट कयने छलौं। हम गूगल पर शायरी, गीत, गज़ल, चुटकुला सब सर्च करैत छली तऽ मात्र हिन्दी में लिखल देखैत छलौं, तब हम मोन में एकबात ठानि' लेलौं की हिन्दी में शायरी, गीत, गज़ल, चुटकुला सब भऽ सकैय तऽ मैथिली में किए नै ? तहिये हम ई वेबसाइट (मिथिलाञ्चल शायरी) बनेलौं। आ हम अप्पन मैथिली लिखल में शायरी, गीत, गज़ल, चुटकुला इत्यादि सब मिथिलाञ्चल शायरी पर समावेश करे लगलौं।  मुदा हम सोचलौं की ई वेबसाइट पर मात्र हमर लिखल रचना सब राखि' नै हेतै ई वेब पर आओर मैथिल अभियानी सब के रचना सब समेटबाक चाही। तऽ ओइ दिन सँ हम मैथिली भाषा में रचना सब लिखवाला मैथिल अभियानी सब के फेसबुक पर सर्च करे लगलौं। 

कहैत छैक नै की ''खोजला पर भगवानो मिल सकैत अछि'' तहिना हम फेसबुक पर खोज्लौं आ मैथिल अभियानी सब सँ परिचय भेल कवि विन्देश्वर ठाकुर जी, राजदेब राज जी, अब्दुर रजाक राइन जी, अमित कुमार मण्डल जी, अशोक कुमार सहनी जी, दिनेश यादव जी, दिनेश रसया जी, मो. असरफ राइन जी, राम सोगारथ यादव जी, विद्यानन्द वेदर्दी जी, धनेश्वर ठाकुर जी, नारायण मधुशाला जी, प्रयास प्रेमी मैथिल जी, प्रेमी रविन्द्र जी, बेचन महतो जी, शत्रुधन मुखिया जी, संजू सीरियस जी, सत्या यादव जी, उदगार यादव जी,  गायत्री सिंह जी, दिनेश कुमार राम जी, प्रमोद कुमार यादव जी, प्रियरंजन झा जी, महेश यादव जी, नीरज मिश्र ''मुन्नू" जी, दीदी पूनम झा "मैथिल" जी, बिजय कुमार झा जी, मणिकांत झा जी, मैथिल प्रशान्त जी, विनीत ठाकुर जी, हरेकृष्णा ठाकुर जी, अक्षय आनन्द सन्नी जी सब संग सम्पर्क भेल।

मिथिलाञ्चल शायरीक डोर मज़बूत भऽ कऽ एक कदम आगू बढ़े में सफल भेल। हाल ही में मिथिलाञ्चल शायरी के फंक्शन क्रिएट कएने अछि जाहि में अपने सब रचनाकार सभक नाम पर क्लिक  करिते हुनकर सभक अखन धरि के सम्पूर्ण रचना सब आबि जाएत अछि। अपने सब ई फंक्शन के कोनो भी रचनाकार के नाम पर क्लिक करि ट्राई सेहो कऽ सकैत छी। आ हिनकर सभक रचना के लहर लहराति' छैक तहिया सँ मिथिलाञ्चल शायरी में अप्पन भित्री मोनक गहिराई सँ अप्पन रचना सब परोइस रहल अछि।

मिथिलाञ्चल शायरी के अखन धरि के कुल विजिटर ३,५३,३४१ (तीन लाख त्रिपन्न हजार तीन सैय एकतालीस) सँ अधिक पुगि चुकल अछि। हम हृदय सँ धन्यवाद देब चाहबै मैथिल प्रेमी विज़िटर सब के जे वेबसाइट (मिथिलाञ्चल शायरी) में  प्रति दिन १०,००० (दस हजार) सँ ज्यादा लोग विजिट करैत अछि।  

मिथिलाञ्चल शायरी में बहुत रास पेज सब के समाबेस क्याल गेल अछि, जाहि में कविता, बाल कविता, गज़ल, कथा-कहानी, लप्रेक, रचना में कत्ता, चरिपतिया, मैथिली फकरा, बुझौवल, होली जोगीरा, लिरिक्स, अहाँक रचना, चुटकुला, शायरी में बेवफ़ा शायरी, सैड शायरी, लभ शायरी, रोमान्टिक शायरी, मिस यु शायरी, बर्थ डे शायरी, वेस्ट विषेस SMS, फ्रेंड्सशिप शायरी, बर्षा शायरी, एडल्ट शायरी, फनी शायरी, वेलेनटाइन शायरी, न्यू ईयर शायरी, त्यौहार/पावनि स्पेशल में अछि बोलबम स्पेशल, शिवरात्रि स्पेशल, रक्षा बन्धन स्पेशल, दिवाली स्पेशल, छठि स्पेशल, सरस्वती पूजा स्पेशल, गुरु पूर्णिमा स्पेशल, होली स्पेशल, ईद स्पेशल, वेलेनटाइन डे स्पेशल, एस के स्पेशल, चौठचन्द्र विशेष, तिला संक्राति विशेष फोटो स्पेशल में रहल अछि शायरी पिक्स, फनी पिक्स, होली पिक्स, मिथिलाञ्चल पिक्स, टैग पिक्चर, मैथिली फकरा मैथिली में अनमोल वचन सेहो समावेश क्याल गेल अछि। 
तऽ आबू अपनहुँ सब मिथिला आ मैथिली के लेल बनाएल गेल एकमात्र वेबसाइट/ब्लॉग  www.mithilanchalshayari.blogspot.com (मिथिलाञ्चल शायरी) पऽ में एकबेर अवश्य विजिट करू।  यदि अपनहुँ मैथिली में रचना सब लिखैत छी तऽ अपनहुँ हमर ईमेल sk.maithil96@gmail.com आ मिथिलाञ्चल शायरी के फेसबुक ग्रुप के ई लिंक पऽ (मिथिलाञ्चल शायरी ग्रुप) क्लिक करि सीधा अप्पन रचना शायरी, कविता, गज़ल, चुटकुला इत्यादि रचना सब पठाबि' सकैत छी। मिथिलाञ्चल शायरी अपनेक रचना के जरूर स्थान देत। 

आ अपने एहि जालवृत्त पर अप्पन व्यवसाय केर विज्ञापन देब चाहैत छी तऽ ई लिंक पऽ (एहि जालवृत्त पर अप्पन व्यवसाय केर विज्ञापन दी) क्लिक करि।  
अखने सम्पर्क कएला पर मिथिलाञ्चल शायरी पोर्टल के तर्फ सँ २५ % (प्रतिशत) छूट के ब्यवस्था राखल गेल अछि। आ स्पेशल पैकेज में भेट सकैत अछि, अहाँक व्यापार के विज्ञापन प्रत्येक पोस्ट में देल ज्यात। तऽ देरी किए अखने सम्पर्क करि।  
अपने एहि जालवृत्त पर विज्ञापन देबाक लेल इच्छुक छी तऽ मिथिलाञ्चल शायरी टीम सँ सम्पर्क करी।

सम्पर्क ईमेल : sk.maithil96@gmail.com  मोबाईल : +91 9987758807 व्हाट्स एप्प : +91 9987758807

Post a Comment

0 Comments